
गायत्री मिश्र
जानकी मन्दिरमे गंगाजल छिरैक कए मन्दिर शुद्धिकरण कएलगेल विषयके गलत प्रचारबाजी कऽ कऽ मधेश आन्दोलन भाँडए चाहनेसभ नहि बिसरु मन्दिर भित्तर जुत्ता,चप्पल,कुत्ता लऽकऽ गर्भगृह धरि घुमलसभके से हो कारवाही करएपरतैक ।
राष्ट्रपतिक पद भगवान सँ नम्हर नहि होईछ मुदा झाँकिमे भगवानक स्वरुप धारण कएनेके उठा कए राष्ट्रपतिके बैसाएब,आ ओहि भगवानद्वारा राष्ट्रपतिके माला पहिराएब उचित की अनुचित से तऽ भगवानप्रति आस्था रखनिहार तथा जनकपुरवासी मुल्यांकन करत् मुदा कनि सत्ताशिन दल तथा आन्दोलनमे उत्तरल तथाकथित् महिला अधिकारकर्मीसभ से हो अहि सम्बन्धमे ध्यान दऽ दितैक तहन दुध के दूध आ पानि के पानी भऽ जेतैक ।
जाहि मिथिलामे महिलाके देवी कहिकए पुजल जाईछ ओहिठाममे एकटा महिलाके कोना कियो अपमान कऽ सकैछ ? चेष्टा धरि नहि करत् । मुदा हमेशा ईष्युके खोजीमे रहएवाली महिला अधिकारकर्मी सभ ईष्यु नहि भेटलापर अपने मोन सँ बड रोचक ईष्यु बना कए आईकाल्हि दिनहँु प्रदर्शनमे व्यस्त छथि, कनि जवाबो दऽ देल जाओ कोन आधार पर अपनेसभ राष्ट्रपतिके विधवा कहिकए सम्बोधन कएलियै आ नाम लगादेलियै आन्दोलित मधेशी युवासभके ।
मन्दिर किए शुद्ध कएलगेल आ शुद्धिकरण कएल दिन कोन कोन एफ.एम., टेलिभिजन, पत्र पत्रिका आ अनलाईनके पत्रकारसभ उपस्थित रहथि जवावो देबए पडत जेसभ मनगढन्त समाचार “विधवा मन्दिरमे पुजा पाठ कएनेमे मन्दिर शुद्धिकरण कएलगेल” कहिकए सम्प्रेषण कएने छी ।
एकटा पत्रकार अपना मोन सँ मनगढन्त समाचार नहि लिखए सकैत अछि से बात तऽ बुझले हएत् तहन महोदयसभ अपनेसभ किए अहितरहक समाचारसभ सम्प्रेषण कए मधेश आन्दोलनके भाँडएमे लागल छी ? जवाब तऽ देबए पडत् अपनेसभके जे सभ अपनाआपके पत्रकार कहैत छी आ एकल महिला लिखएके सट्टा विधवा लिखैत छी ? जवाब देबए पडत् ओहि महिला अधिकार कर्मी सभके जे सभ बात विना बुझनहि धर्ना,प्रदर्शन आ विरोध करैत छीऐक, विधवाद्वारा पुजापाठ कएला सँ मन्दिर शुद्धिकरण कएलगेल कहिकए हावामे बजैत छी मुदा जखन राष्ट्रपति महोदया सीताक भेष धारण कएने मानव रुपी भगवानके उठा कए हुनक सिंहाशन पर बैसैत छथि,हुनक हाथ सँ माला पहिरैत छथि तखन चुप्पी लदने रहैत छी ।
मोनेमोने गजैत रहैछी जे हम्मर जातिक एकगोटे महिला आई तऽ बरके तिर मारिकए आएल जनकपुरमे भगवान रुपी मानव धरि हुनका स्वागत कएलखिन्ह । जवाव तऽ देबही पडत् महिला अधिकारकर्मीजीसभ मधेश आन्दोलनक क्रममे महोत्तरीमे जखन निर्दोष महिलाके पुलिश गोली मारिकए हत्या कएलक तखन अपनेसभ कोन निन्नमे रही या निर्दोष महिला मरैत छैक तऽ ओ महिला अधिकारकर्मीक विषए नहि होईछैक जवाब चाही आब मधेशी महिलाके ।
आ कि मधेशी महिला मरितोमे अपनेसभ चुप्प रहब निक बुझैछियै आ अपनेके नेपालके महिलाके विना विरोधोके जबरदस्ती मधेशीयासभ विरोध कएलकै कहिकए उनुष मात्रही खोजिरहल छी जवाब तऽ देबही पडत् । सत्य तथ्यके छानविनक माँग आब हमसभ करैत छी आ मनगढन्त ईष्यु ठाढ कएनेके एवम् समाचार सम्प्रेषण कएने सञ्चार माध्यम आ सञ्चारकर्मीके कारवाहीक माँग करैत छी ।
लेखक मिश्र स्थानीय पत्रकार छथि ।




Yi nepali me seho likha kaya national media me pathabk jaruri
Translate the same into english or hindi and dispach to international forum like Vishwa Hindu Parishad.